कौजगरा चौरचन छठिपर्व रवि व्रत भ्रातृद्वितीया एकादशी तुसारी उपनयन समीक्षा आवश्यक व्यवहारिक मन्त्र
जितिया पावनि
पावनि-तिहार कौजगरा
मिथिलाक बहु विख्यात पावनि "कौजगरा"
श्री मती पूनम झा
शरद ऋतु के आश्विन माँसक पुर्णिमा तिथि कय दूधसन उज्जर ठहाठहि इजोरियाक एहि राति के कोजगराक राति के नाम सँ ख्याति प्राप्त कयने, ई पावनि सम्पूर्ण मिथिलांचल मे महा चर्चा एवं उत्साह-उमंगक संग प्रतिवर्ष मनाओल जाईत अछि ।
एहि राति के मूलतः जागरण के राति मानल जाइत अछि, तैं एकर नाम जगरा भेल आ के जगति छथि तैं को जगरा भय गेल । समस्त मिथिला शक्ति पीठ मानल जाइत अछि । मूलतः मिथिला मे कालिकाक पूजा घरेघर होइत अछि । गोसाओन के कोनो शुभ कार्य वा पावनि तिहार मे प्रथम पूजा वा विधि व्यवहार होइत छनि, तदुपरान्ते कोनो आरो देवी-देवता के पूजन वा विधि होइत अछि । एहि कड़ी सँ जोरल एकटा पद्धति मिथिलाक परम्परा वनि गेल अछि, जे कोनो शुभ कार्य वा पूजन मे पहिने ओहि स्थल पर जतय ओ शुभ कार्य होयतैक अरिपण देल जाईत अछि । स्थान के चिकठानि माँटि सँ नीपि कय चाउर के पीसल पीठार सँ अरिपण के चित्रकारी कयल जाइत अछि । जनिका मांझ ठाम सिन्दुर के रेख सँ पहिने गोसाओन के स्थान सुरक्षित राखि-ओही चित्र पर समयानुसार शुभ कार्य कयल जाईत अछि । अरिपण पर पुरहर राखव आर्थिक सम्पन्नता तथा पुरहर पर दीप जरायव सुखद समृद्धि के द्योतक मानल जाईत अछि । कोजगरा पर्व मुख्य रुप से आर्थिक सम्पन्नता हेतु आश्विन पुर्णिमा के रात्रि मे जागरण कय लक्ष्मीक अराधना मे लीन रहवाक अछि शास्त्रोचित वात ई अछि, जे एहि राति लक्ष्मीक पूजन विधान करी वा नहि एकर मान्यता कम अछि, मुदा जौ एहि राति के कोनो रुपे जागि कय गमावी, तऽ लक्ष्मी के प्रसन्न करवाक साधन मानल गेल अछि । अगहन सँ अषाढ़ तक जे नव दम्पत्ति के विआह होइत छैन्हि हुनकर कोजगरा आश्विन मासक पुर्णिमा के राति मे मनाओल जाईत अछि । प्रतिवर्ष नव दम्पत्ति के कोजगरा होईत अछि, अर्थात विआहक बाद कोजगरा अवैत अछि । होइत छैक जे कान्यापक्ष क ओतय सँ वर पक्षक परिवारक वर (दुल्हा) सहित सभ सदस्य के नव वस्त्र आ संग मे चूड़ा दही, केरा मिठाई आ पर्याप्त मरवान के १०-२० भार साजि कय, किंवा भरियाक कमी रहला सँ स्थानीय कोनो व्यवस्था सँ पहुंचायल जाइत अछि । चूड़ा, दही, केरा, मिठाई जे कन्यापक्षक ओतय सँ अबैत छैक, ओकर भोज अपना समाजिक सम्बन्ध के मुताबिक वर पक्षक ओतय होइत अछि, संगे समस्त परिवार नव वस्त्र (जे कन्या पक्ष सँ अवैत अछि) धारण करैत छथि । आंगन के माँझठाम अरिपन देल जाइत अछि, तथा ओहि पर आसन दय वर के चुमाओन कएल जाइत अछि । तदुपरान्त दुर्वाक्षत सँ वर के दीर्घ आयु के मंगल कामना करैत गोसाओन के गोहरवति स्त्रीगण समाज वर के गोसाओन के अराधना मे लऽ जाईत छथि। वर गोसाओन के मनाय कय अपना सँ श्रेष्ट पुरजन, परिजन एवं समाज के चरण स्पर्श करैत छथि तथा सुभाशिष प्राप्त करैत छथि । एहि पावनि मे वर पक्ष समाजक हर समुदाय के लोक के हकार दय अपना ओहिठाम वजाबति छाथि तथा सनेस मे आयल मखान एवं वताशा (मिठाई) मिलाकय प्रयाप्त रुपेण बाँटि कय पान सपारी दय विदा करैत छाथि । एहि पावनि मे मखानक प्रधानता अछि । मखान एक प्रकारक विशिष्ट मेवा फल अछि । किशमिश, काजू, नारिकेर एवं अन्य कोनो मेवा मे जे पौष्टिक तत्व पायल जाइत अछि, मखान मे एकसरे ओ सभ पौष्टिक तत्व छैक । मिथिलाक जे भौगोलिक संरचना अछि, एहि मे जलक जमाव श्रोत वेसी छैक । जतय पर्याप्त मात्रा मे पोखरि धार नम्हर-नम्हर झील डावर आदि जल जमाव स्थल अछि, ततय मखान होइत अछि ।
मिथिलाक भू-भाग पर मरवानक उपज आदि काल सँ जतेक होईत अछि ओतेक उपज एहि विशिष्ट मेवा क आओरो कोनो ठाम नहि अछि । अखाढ़क अन्त तक मरवान के नवका फसिल पानि सँ निकालि साओन भादव मास तक एकर लावा अ;अग कयल जाइत अछि । गाम घर सँ वजारक दुकान तक मे ई मेवा वहुतायक रुप मे भेटैत छैक । चूँकि एहि क्षेत्र के ई विशिष्ट मेवा फल जीवन के अति विशिष्ट तत्व के पूर्ण करय वला फलक उपज अधिक होइत अछि, संगहि वर्षा ऋतु के कुप्रभाव सँ मानव जीवन मे अनेकानेक रोग के संचार होइत छैक जाहि बहुत रोगक निवारण के क्षमता मखान मे छैक । मखान सुपाच्य मेवा अछि तथा एकर सेवन अपच, कम भूख, पेटक अन्य गड़बड़ी, शक्ति के संचार मे अत्यन्त लाभदाई अछि । मखान के घी मे भूजि कय भूजाक रुप मे एवं एकर खीर बना कय खयला सँ शरीरक संतुलित अहार के कमी तत्व के पूरा करैत अछि । एकर सेवन, आशिन आ कार्तिक मास मे अति लाभदाई छैक, तै समाजक लोक के स्वास्थ्य के मंगल मामना करैत एहि पावनि मे मखान बाँटय के प्रथा प्रचलित भेल अछि । पान सुपारी मिथिलाक सम्मान मे अति विशिष्ट स्थान प्राप्त कयने अछि , तै पान सुपारी दय समाजक सम्मान कयल जाइत अछि । तदुपरान्त राति भरि जागरण करवा हेतु पचीसी खेल, नाच गान के आयोजन कयल जाइत अछि । एहि तरहे राति भरि चहल पहल मे वीति जाईत अछि । एना जागरण मे महत्व गौण अछि, तै एकर प्रधानता कम आंकल जाईत अछि मुदा एहि रातुक जागरण लक्ष्मी प्राप्ति मे सिद्धि दाई अछि । एहि पावनि के महत्व दिनानुदिन मिथिला मे घटल जाईत अछि, मुदा एकर रश्य अदायगी अवश्य होईत अछि ।
ग्राम - माँड़रि
पो.- जितवारपुर, जिला- मधुबनी
पावनि-तिहार लोक पावनि चौरचन प्रो. पवन कुमार मिश्र
समस्त विज्ञजन केँ विदित अछि जे समग्र विश्व मे भारत ज्ञान विज्ञान सँ महान तथा जगत् गुरु कऽ उपाधि सँ मण्डित अछि । एतवे टा नहि भारत पूर्व काल मे "सोनाक चिड़िया" मानल जाइत छल एवं ब्रह्माण्डक परम शक्ति छल । भूलोकक कोन कथा अन्तरिक्ष लोक मे एतौका राजा शान्ति स्थापित करऽ लेल अपन भुज शक्तिक उपयोग करैत छलाह । एकर साक्ष्य अपन पौराणिक कथा ऐतिह्य प्रमाणक रुप मे स्थापित अछि ।
हमर पूर्वज जे आई ऋषि महर्षि नाम सँ जानल जायत छथि हुनक अनुसंधानपरक वेदान्त (उपनिषद्) एखनो अकाट्य अछि । हुनक कहब छनि काल (समय) एक अछि, अखण्ड अछि, व्यापक (सब ठाम व्याप्त) अछि । महाकवि कालिदास अभिज्ञान शकुन्तलाक मंगलाचरण मे "ये द्वे कालं विधतः" एहि वाक्य द्वारा ऋषि मत केँ स्थापित करैत छथि । जकर भाव अछि व्यवहारिक जगत् मे समयक विभाग सूर्य आओर चन्द्रमा सँ होइछ ।
‘प्रश्नोपनिषद्’ मे ऋषिक मतानुसार परम सूक्ष्म तत्त्व "आत्मा" सूर्य छथि तथा सूक्ष्म गन्धादि स्थूल पृथ्वी आदि प्रकृति चन्द्र छथि । एहि दूनूक संयोग सँ जड़ चेतन केँ उत्पत्ति पालन आओर संहार होइछ ।
आत्यिमिक बौद्धिक उन्नति हेतु सूर्यक उपासना कैल जाइछ । जाहि सँ ज्ञान प्राप्त होइछ । ज्ञान छोट ओ पैघ नहि होइछ अपितु सब काल मे समान रहैछ एवं सतत ओ पूर्णताक बोध करवैछ । मुक्तिक साधन ज्ञान, आओर मुक्त पुरुष केँ साध्यो ज्ञाने अछि । सूर्य सदा सर्वदा एक समान रहैछ । ठीक एकरे विपरीत चन्द्र घटैत बढ़ैत रहैछ । ओ एक कलाक वृद्धि करैत शुक्ल पक्ष मे पूर्ण आओर एक-एक कलाक ह्रास करैत कृष्ण पक्ष मे विलीन भऽ जाय्त छाथि । सम्पत्सर रुप (समय) जे परमेश्वर जिनक प्रकृति रुप जे प्रतीक चन्द्र हुनक शुक्ल पक्ष रुप जे विभाग ओ प्राण कहवैछ प्राणक अर्थ भोक्ता । कृष्ण पक्ष भोग्य (क्षरण शील वस्तु) ।
विश्वक समस्त ज्योतिषी लोकनि जातकक जन्मपत्री मे सूर्य आओर चन्द्र केँ वलावल केँ अनुसार जातक केर आत्मबल तथा धनधान्य समृद्धिक विचार करैत छथिन्ह । वैज्ञानिक लोकनि अपना शोध मे पओलैन जे चन्द्रमाक पूर्णता आओर ह्रास्क प्रभाव विक्षिप्त (पागल) क विशिष्टता पर पड़ैछ । भारतीय दार्शनिक मनीषी "कोकं कस्त्वं कुत आयातः, का मे जनजी को तात:" अर्थात् हम के छी, अहाँ के छी हमर माता के छथि तथा हमर पिता के छथि इत्यादि प्रश्नक उत्तर मे प्रत्यक्ष सूर्य के पिता (पुरुष) आओर चन्द्रमा के माता (स्त्री) क कल्पना कऽ अनवस्था दोष सं बचैत छथि ।
अपना देश मे खास कऽ हिन्दू समाज मे जे अवतारवादक कल्पना अछि ताहि मे सूर्य आओर चन्द्रक पूर्णावतार मे वर्णन व्यास्क पिता महर्षि पराशर अपन प्रसिद्ध ग्रन्थ ‘वृद्ध पराशर’ मे करैत छथि । "रामोऽवतारः सूर्यस्य चन्द्रस्य यदुनायकः" सृ. क्र. २६ अर्थात् सूर्य राम रुप मे आओर चन्द्र कृष्ण रुप मे अवतार ग्रहण केलन्हि ।
ई दुनू युग पुरुष भारतीय संस्कृति-सभ्यता, आचार-विचार तथा जीवन दर्शनक मेरुद्ण्ड छथि आदर्श छथि । पौराणिक ग्रन्थ तथा काव्य ग्रन्थ केँ मान्य नायक छथि । कवि, कोविद, आलोचक, सभ्य विद्धत् समाजक आदर्श छथि । सामान्यजन हुनका चरित केँ अपना जीवन मे उतारि ऐहिक जीवन के सुखी कऽ परलोक केँ सुन्दर बनाबऽ लेल प्रयत्नशील होईत छथि ।
एहि संसार मे दू प्रकारक मनुष्य वास करै छथि । एकटा प्रवृत्ति मार्गी (प्रेय मार्गी)- गृहस्थ दोसर निवृत्ति मार्गी योगी, सन्यासी । प्रवृत्ति मार्गी-गृहस्थ काञ्चन काया कामिनी चन्द्रमुखी प्रिया धर्मपत्नी सँ घर मे स्वर्ग सुख सँ उत्तम सुखक अनुभव करै छथि । ओहि मे कतहु बाधा होइत छनि तँ नरको सँ बदतर दुःख केँ अनुभव करै छथि ।
कर्मवादक सिद्धान्तक अनुसार सुख-दुःख सुकर्मक फल अछि ई भारतीय कर्मवादक सिद्धान्त विश्वक विद्धान स्वीकार करैत छथि । तकरा सँ छुटकाराक उपाय पूर्वज ऋषि-मुनि सुकर्म (पूजा-पाठ) भक्ति आओर ज्ञान सँ सम्वलित भऽ कऽ तदनुसार आचरणक आदेश करैत छथिन्ह ।
हम जे काज नहि केलहुँ ओकरो लेल यदि समाज हमरा दोष दिए, प्रत्यक्ष वा परोक्ष मे हमर निन्दा करय एहि दोष "लोक लाक्षना" क निवारण हेतु भादो शुक्ल पक्षक चतुर्थी चन्द्र के आओर ओहि काल मे गणेशक पूजाक उपदेश अछि ।
हिन्दू समाज मे श्री कृष्ण पूर्णावतार परम ब्रह्म परमेश्वर मानल छथि । महर्षि पराशर हुनका चन्द्रसँ अवतीर्ण मानैत छथिन्ह । हुनके सँ सम्बन्धित स्कन्दपुराण मे चन्द्रोपाख्यान शीर्षक सँ कथा वर्णित अछि जे निम्नलिखित अछि ।
नन्दिकेश्वर सनत्कुमार सँ कहैत छथिन्ह हे सनत कुमार ! यदि अहाँ अपन शुभक कामना करैत छी तऽ एकाग्रचित सँ चन्द्रोपाख्यान सुनू । पुरुष होथि वा नारी ओ भाद्र शुक्ल चतुर्थीक चन्द्र पूजा करथि । ताहि सँ हुनका मिथ्या कलंक तथा सब प्रकार केँ विघ्नक नाश हेतैन्ह । सनत्कुमार पुछलिन्ह हे ऋषिवर ! ई व्रत कोना पृथ्वी पर आएल से कहु । नन्दकेश्वर बजलाह-ई व्रत सर्व प्रथम जगत केर नाथ श्री कृष्ण पृथ्वी पर कैलाह । सनत्कुमार केँ आश्चर्य भेलैन्ह षड गुण ऐश्वर्य सं सम्पन्न सोलहो कला सँ पूर, सृष्टिक कर्त्ता धर्त्ता, ओ केना लोकनिन्दाक पात्र भेलाह । नन्दीकेश्वर कहैत छथिन्ह-हे सनत्कुमार । बलराम आओर कृष्ण वसुदेव क पुत्र भऽ पृथ्वी पर वास केलाह । ओ जरासन्धक भय सँ द्वारिका गेलाह ओतऽ विश्वकर्मा द्वारा अपन स्त्रीक लेल सोलह हजार तथा यादव सब केँ लेल छप्पन करोड़ घर केँ निर्माण कऽ वास केलाह । ओहि द्वारिका मे उग्र नाम केर यादव केँ दूटा बेटा छलैन्ह सतजित आओर प्रसेन । सतजित समुद्र तट पर जा अनन्य भक्ति सँ सूर्यक घोर तपस्या कऽ हुनका प्रसन्न केलाह । प्रसन्न सूर्य प्रगट भऽ वरदान माँगूऽ कहलथिन्ह सतजित हुनका सँ स्यमन्तक मणिक याचना कयलन्हि । सूर्य मणि दैत कहलथिन्ह हे सतजित ! एकरा पवित्रता पूर्वक धारण करव, अन्यथा अनिष्ट होएत । सतजित ओ मणि लऽ नगर मे प्रवेश करैत विचारऽ लगलाह ई मणि देखि कृष्ण मांगि नहि लेथि । ओ ई मणि अपन भाई प्रसेन के देलथिन्ह । एक दिन प्रंसेन श्री कृष्ण के संग शिकार खेलऽ लेल जंगल गेलाह । जंगल मे ओ पछुआ गेलाह । सिंह हुनका मारि मणि लऽ क चलल तऽ ओकरा जाम्बवान् भालू मारि देलथिन्ह । जाम्बवान् ओ लऽ अपना वील मे प्रवेश कऽ खेलऽ लेल अपना पुत्र केऽ देलथिन्ह ।
एम्हर कृष्ण अपना संगी साथीक संग द्वारिका ऐलाह । ओहि समूहक लोक सब प्रसेन केँ नहि देखि बाजय लगलाह जे ई पापी कृष्ण मणिक लोभ सँ प्रसेन केँ मारि देलाह । एहि मिथ्या कलंक सँ कृष्ण व्यथित भऽ चुप्पहि प्रसेनक खोज मे जंगल गेलाह । ओतऽ देखलाह प्रदेन मरल छथि । आगू गेलाह तऽ देखलाह एकटा सिंह मरल अछि आगू गेलाह उत्तर एकटा वील देखलाह । ओहि वील मे प्रवेश केलाह । ओ वील अन्धकारमय छलैक । ओकर दूरी १०० योजन यानि ४०० मील छल । कृष्ण अपना तेज सँ अन्धकार के नाश कऽ जखन अंतिम स्थान पर पहुँचलाह तऽ देखैत छथि खूब मजबूत नीक खूब सुन्दर भवन अछि । ओहि मे खूब सुन्दर पालना पर एकटा बच्चा के दायि झुला रहल छैक बच्चा क आँखिक सामने ओ मणि लटकल छैक दायि गवैत छैक-
सिंहः प्रसेन भयधीत, सिंहो जाम्बवता हतः ।
सुकुमारक ! मा रोदीहि, तब ह्येषः स्यमन्तकः ॥
अर्थात् सिंह प्रसेन केँ मारलाह, सिंह जाम्बवान् सँ मारल गेल, ओ बौआ ! जूनि कानू अहींक ई स्यमन्तक मणि अछि । तखनेहि एक अपूर्व सुन्दरी विधाताक अनुपम सृष्टि युवती ओतऽ ऐलीह । ओ कृष्ण केँ देखि काम-ज्वर सँ व्याकुल भऽ गेलीह । ओ बजलीह-हे कमल नेत्र ! ई मणि अहाँ लियऽ आओर तुरत भागि जाउ । जा धरि हमर पिता जाम्बवान् सुतल छथि । श्री कृष्ण प्रसन्न भऽ शंख बजा देलथिन्ह । जाम्बवान् उठैत्मात्र युद्ध कर लगलाह । हुनका दुनुक भयंकर बाहु युद्ध २१ दिन तक चलैत रहलन्हि । एम्हर द्वारिका वासी सात दिन धरि कृष्णक प्रतीक्षा कऽ हुनक प्रेतक्रिया सेहो देलथिन्ह । बाइसम दिन जाम्बवान् ई निश्चित कऽ कि ई मानव नहि भऽ सकैत छथि । ई अवश्य परमेश्वर छथि । ओ युद्ध छोरि हुनक प्रार्थना केलथिन्ह अ अपन कन्या जाम्बवती के अर्पण कऽ देलथिन्ह । भगवान श्री कृश्न मणि लऽ कऽ जाम्ब्वतीक स्म्ग सभा भवन मे आइव जनताक समक्ष सत्जीत के सादर समर्पित कैलाह । सतजीत प्रसन्न भऽ अपन पुत्री सत्यभामा कृष्ण केँ सेवा लेल अर्पण कऽ देलथिन्ह ।
किछुए दिन मे दुरात्मा शतधन्बा नामक एकटा यादव सत्ताजित केँ मारि ओ मणि लऽ लेलक । सत्यभामा सँ ई समाचार सूनि कृष्ण बलराम केँ कहलथिन्ह-हे भ्राता श्री ! ई मणि हमर योग्य अछि । एकर शतधन्वान लेऽ लेलक । ओकरा पकरु । शतधन्वा ई सूनि ओ मणि अक्रूर कें दऽ देलथिन्ह आओर रथ पर चढ़ि दक्षिण दिशा मे भऽ गेलाह । कृष्ण-बलराम १०० योजन धरि ओकर पांछा मारलाह । ओकरा संग मे मणि नहि देखि बलराम कृष्ण केँ फटकारऽ लगलाह, "हे कपटी कृष्ण ! अहाँ लोभी छी ।" कृष्ण केँ लाखों शपथ खेलोपरान्त ओ शान्त नहि भेलाह तथा विदर्भ देश चलि गेलाह । कृष्ण धूरि केँ जहन द्वारिका एलाह तँ लोक सभ फेर कलंक देबऽ लगलैन्ह । ई कृष्ण मणिक लोभ सँ बलराम एहन शुद्ध भाय के फेज छल द्वारिका सँ बाहर कऽ देलाह । अहि मिथ्या कलंक सँ कृष्ण संतप्त रहऽ लगलाह । अहि बीच नारद (ओहि समयक पत्रकार) त्रिभुवन मे घुमैत कृष्ण सँ मिलक लेल ऐलथिन्ह । चिन्तातुर उदास कृष्ण केँ देखि पुछथिन्ह "हे देवेश ! किएक उदास छी ?" कृष्ण कहलथिन्ह, " हे नारद ! हम वेरि वेरि मिथ्यापवाद सँ पीड़ित भऽ रहल छी ।" नारद कहलथिन्ह, "हे देवेश ! अहाँ निश्चिते भादो मासक शुक्ल चतुर्थीक चन्द्र देखने होएव तेँ अपने केँ बेरिबेरि मिथ्या कलंक लगैछ । श्री कृष्ण नारद सँ पूछलथिन्ह, "चन्द्र दर्शन सँ किएक ई दोष लगै छैक ।
नारद जी कहलथिन्ह, "जे अति प्राचीन काल मे चन्द्रमा गणेश जी सँ अभिशप्त भेलाह, अहाँक जे देखताह हुनको मिथ्या कलंक लगतैन्ह । कृष्ण पूछलथिन्ह, "हे मुनिवर ! गणेश जी किऐक चन्द्रमा केँ शाप देलथिन्ह ।" नारद जी कहलथिन्ह, "हे यदुनन्दन ! एक वेरि ब्रह्मा, विष्णु आओर महेश पत्नीक रुप मे अष्ट सिद्धि आओर नवनिधि के गनेश कें अर्पण कऽ प्रार्थना केयथिन्ह । गनेश प्रसन्न भऽ हुनका तीनू कें सृजन, पालन आओर संहार कार्य निर्विघ्न करु ई आशीर्वाद देलथिन्ह । ताहि काल मे सत्य लोक सँ चन्द्रमा धीरे-धीरे नीचाँ आबि अपन सौन्द्र्य मद सँ चूर भऽ गजवदन कें उपहाल केयथिन्ह । गणेश क्रुद्ध भऽ हुनका शाप देलथिन्ह, - "हे चन्द्र ! अहाँ अपन सुन्दरता सँ नितरा रहल छी । आई सँ जे अहाँ केँ देखताह, हुनका मिथ्या कलंक लगतैन्ह । चन्द्रमा कठोर शाप सँ मलीन भऽ जल मे प्रवेश कऽ गेलाह । देवता लोकनि मे हाहाकार भऽ गेल । ओ सब ब्रह्माक पास गेलथिन्ह । ब्रह्मा कहलथिन्ह अहाँ सब गणेशेक जा केँ विनति करु, उएह उपय वतौताह । सव देवता पूछलन्हि-गणेशक दर्शन कोना होयत । ब्रह्मा वजलाह चतुर्थी तिथि केँ गणेश जी के पूजा करु । सब देवता चन्द्रमा सँ कहलथिन्ह । चन्द्रमा चतुर्थीक गणेश पुजा केलाह । गणेश वाल रुप मे प्रकट भऽ दर्शन देलथिन्ह आओर कहलथिन्ह - चन्द्रमा हम प्रसन्न छी वरदान माँगू । चन्द्रमा प्रणाम करैत कहलथिन्ह हे सिद्धि विनायक हम शाप मुक्त होई, पाप मुक्त होई, सभ हमर दर्शन करैथ । गनेश थ बहलाघ हमर शाप व्यर्थ नहि जायत किन्तु शुक्ल पक्ष मे प्रथम उदित अहाँक दर्शन आओर नमन शुभकर रहत तथा भादोक शुक्ल पक्ष मे चतुर्थीक जे अहाँक दर्शन करताह हुनका लोक लान्छना लगतैह । किन्तु यदि ओ सिंहः प्रसेन भवधीत इत्यादि मन्त्र केँ पढ़ि दर्शन करताह तथा हमर पूजा करताह हुनका ओ दोष नहि लगतैन्ह । श्री कृष्ण नारद सँ प्रेरित भऽ एहिव्रतकेँ अनुष्ठान केलाह । तहन ओ लोक कलंक सँ मुक्त भेलाह ।
एहि चौठ तिथि आओर चौठ चन्द्र केँ जनमानस पर एहन प्रभाव पड़ल जे आइयो लोक चौठ तिथि केँ किछु नहि करऽ चाहैत छथि । कवि समाजो अपना काव्य मे चौठक चन्द्रमा नीक रुप मे वर्णन नहि करैत छथि । कवि शिरोमणि तुलसी मानसक सुन्दर काण्ड मे मन्दोदरी-रावण संवाद मे मन्दोदरीक मुख सँ अपन उदगार व्यक्त करैत छथि - "तजऊ चौथि के चन्द कि नाई" हे रावण । अहाँ सीता केँ चौठक चन्द्र जकाँ त्याग कऽ दियहु । नहि तो लोक निंदा करवैत अहाँक नाश कऽ देतीह ।
एतऽ ध्यान देवऽक बात इ अछि जे जाहि चन्द्र केँ हम सब आकाश मे घटैत बढ़ैत देखति छी ओ पुरुष रुप मे एक उत्तम दर्शन भाव लेने अछि । जे एहि लेखक विषय नहि अछि । हमर ऋषि मुनि आओर सभ्य समाजक ई ध्येय अछि, मानव जीवन सुखमय हो आओर हर्ष उल्लास मे हुनक जीवन व्यतीत होन्हि । एहि हेतु अनेक लोक पावनि अपनौलन्हि, जाहि मे आवाल वृद्ध प्रसन्न भवऽ केँ परिवार समाज राष्ट्र आओर विश्व एक आनन्द रुपी सूत्र मे पीरो अब फल जेकाँ रहथि ।
आवास - आदर्श नगर, समस्तीपुर
सभार : मिथिला अरिपन
जितिया पावनि
जितिया पावनि के व्रत आशिन कृष्ण पक्ष अष्टमी कऽ होइत अछि । व्रत केनिहारि सप्तमी दिन नहाके अरबा-अरबाईन खाई छथि । ई व्रत अईहव आ वीधव सभ करैत छथि । अपन-अपन सन्तानक दीर्घायुक लेल ई व्रत कएल जाईछ । अष्टमी दिन निराहार रहिक ई व्रत होईत अछि । एहि मे फलहार के कोन बात एक बून्द पानियो तक कंठ तर नहि जेबाक चाही । व्रत केनिहारि सब ओहि दिन कोनो नदी या पोखरि मे नहाथि । ओहि दिन असगर नहि नहेबाक विधान अछि । पाँच-सात गोटेक संग मील कऽ नेहेबाक चाही । व्रत केनिहारि नेहेलाक बाद झिमनिक पात पर खईर आ सरिसो के तेल जितवाहन के चढ़वैत छथि । खीरा, केरा, अँकुरी, अक्षत, पान-सुपारी, मखान, मधूर लऽ कऽ नवेद दैत छथि आ धूप-दीप जरबैत छथि । अपना पुत्रक दीर्घायु आ सब मनोरथ पूरा करबाक वरदान मंगैत छथि । कथा सुनलाक बाद सब अपन-अपन घर अबैत छथि । नवमी दिन फ़ेर ओही तरहें पूजा पाठ कऽ कऽ खीरा, अंकुरी, अक्षत, पान-सुपारी नवेद दऽ धूप=दीप जराकऽ विसरजन करैत छथि । जिनका लोकनिक संतान लग मे रहैत छथि से माय पहिने संतान के जीतबाहनक प्रसादी दऽ कऽ तखन अपने पारन करैत छथि । जिनकर संतान परदेश रहैत छथिन्ह या कतहु बाहर पढ़बा-लिखवा लेल गेल छथिन्ह तऽ हुनकर माय अपना बेटाक लेल जीतवाहनक चढ़ाओल अकुरी आ सुपारी राखी लैत छथि तकर बादे पारन करैत छथि ।
जितिया व्रत कथा एहि प्रकारे अछि -
एक दिन कैलाशक अति रमणीय शिखरपर बैसि पार्वती शंकर जी सँ प्रश्न कयलनि जे कोन व्रत वा तपस्या छैक जकरा कयला सँ सौभाग्यवती स्त्रीक सन्तान जीवित रहतैक । तकर उत्तर शंकर जी देलनि- आसीन कृष्ण अष्टमी तिथि कऽ यदि स्त्रीगण लोकनि पुत्रक कामनासँ शालिवाहन राजाक पुत्र जिमूतवाहनक कुशक प्रतिमा बना कलशक जल मे स्थापना कए तकरा खूब सुसज्जित कऽ नजदीक मे एक खाधि खुनि पोखरि निर्माण कऽ ओकर मोहार पर एक गोट पाकड़िक ठाढ़ि रोपि, ठाढ़िक ऊपर मे गोबर माटिक चिल्होड़िक निर्माण कऽ राखथि आ नीचा मे गीदरनीक आकृति बनाय राखि देथि । दुनूक माथ पर सिन्दूर पिठार लगाय फूल माला सँ युक्त भऽ धूप-दीप नैवेद्य लऽ बाँसक पात पर पूजा कयलासँ पुत्रक जतेक जे ग्रह चक्र रहैब अछि ताहि सँ मुक्ति भेटैत छैक आ ओकर बंशक वृद्धि होइत छैक आ संग-संग सब मनोरथ पूरा होइत छैक ।
एहि पृथ्वी पर समुद्रक किनार पर नर्मदाक किनार पर दक्षिण दिशा मे कनकावती नामक एकटा गाम अछि, जाहिठाम सब तरहक सेना सँ सुसज्जित मलयकेतु नामक राजा राज्य करैत छलाह । हुनके राज्य मे बहुलूटा नामक मरूभूमि छैक जकरा बिचे बाटे नर्मदा नदी बहैत छथि । ओकरे किनार पर एक गोट अति विशाल पाकड़ि गाछ छल । ओहि पाकड़िक धोधरि मे एकटा गिदरनी निवास करैत छलीह आ ठाढ़ि पर एक गोट चिल्होरनी निवास करैत छलीह । बहुत दिन एक संग निवास करबाक कारणे दुनू मे बड़ गाढ़ दोस्ती छल । ओहि नगरक निवास कयनिहारि महिला लोकनि ओहिगाछ लग आइ आसीन कृष्ण अष्टमी तिथि कऽ जिमूतवाहनक पूजा कऽ कथावाचक सँ कथा सूनि अपन-अपन घर गेलीह । गिदरनी आ चिल्होरनी सेहो व्रत केने छलीह । ओहो लोकनि घर गेलीह ।
ओहि दिन संध्या समय मे ओहिनगर के जे नामी सेठ तकर एकमात्र पुत्रक मृत्यु भऽ गेलैक। ओकर परिजन नर्मदा कातमे आबि संस्कार दऽ घर जाइत गेलाह । ओहि अष्टमी रातिमे टपाटप मेघ लागल छल । हाथ-हाथ नै सुझै । ओहि भयंकर अन्हार मे कखनो-कखनो बिजलौका लोकैत छलैक तकर इजोत मे ओहि मृतकक मांस देखि दिनभरिक उपासल गिदरनी तिनका धैर्य नहि राखल गेलनि। ओ गाछपर जे निवास कयनिहरि चिल्होरनी तिनका सँ प्रश्न कयलनि कि हे बहिना जागल छह । अनेक बेर गिदरनी द्वारा जिज्ञासा कयला पर चिल्हो कोनो जवाब नहि देल । तहन गिदरनी सोचलनि बहिना शायद सुति रहली । कैक बेर गिदरनी द्वारा जिज्ञासा कएलो पर जवाब नहीं भेटला पर ओ अपन धोधरि सँ निकलि नदी किनार पर जा ओहिठाम सँ अपन मुँहमे पानि आनि-आनि चिताके जे अग्नि तकरा मिझाओल ।
तखन चितामे अवशेष मांसक टुकड़ी तकरा खण्ड-खण्ड कऽ पेट भरि खेबो कयलनि आ अपन धोधरि मे आनि कय रखबो कयलनि । गाछ पर बैसल चिल्हो हिनकर समस्त करतूत देखैत छलीह । प्रातः काल गिदरनी चिल्हो सँ कहलनि सखी पारणाक चर्चा कियैक नहि करैत छी । रातुक बातके जानय वला चिल्होड़ि उदास होइत उत्तर देलनि हे सखी ! पारणा करू गऽ पारणा के बेर भऽ गेल । हम स्त्रीगण लोकनि द्वारा देल गेल अक्षत अंकुरीक नैवेद्य लऽ कऽ पारणा करैत छी । अहूँ करु गऽ ।
तहन कालक्रममे प्रयागमे कुंभ लगलै । संयोगसँ चिल्हो आ गिदरनी दुनू गोटे ओतय गेलीह । ओहिठाम एक संग दुनूक मृत्यु भऽ गेल । कुंभक मृत्युक कारण दुनू गोटेक जन्म वेदक ज्ञाता जे भास्कर नामक ब्राह्मण तिनका घरमे भेलनि । दुनू गोटे जौँआं जन्म लेल । दुनू के नामकरण भेल । चिल्हो जे छलीह से जेठ भेलीह हुनकर नाम शीलावती राखल गेल । आ गिदरनी छोट भेलीह । हुनकर नाम कर्पूरावती राखल गेल । दुनू गोटे जखन नमहर भेलीह कन्यादान योग्य तहन दुनू के कन्यादान भेल । पैघ जे शीलावती तिनक विवाह महामत्त नामक जे धनी-मानी लोक तकरा संग ओ छोटक विवाह मलयकेतु नामक महाराज तिनका संग ।
कालक्रमे कर्पूरावती गर्भवती भेलीह । बच्चा जन्म लेलकनि लेकिन नहि बचलनि मरि गेलनि । एहि तरहें कर्पूरावती के सात गोट पुत्र जन्म लेलकनि आ सातो मरि गेलनि । ओ लोकनि परम दुःखी रहैत छलीह ।
जेठ जे कन्या शीलावती हुनको सात टा पुत्र जन्म लेलकनि आ सातो जीवित छलनि । शीलावती के सेहो कर्पूरावतीक सातो पुत्रक मृत्यु के देखि बड़ संताप होइत छलनि ।
एहि दुःख सँ कर्पूरावती जिमूतवाहन व्रतक दिन खाट पर सुतल छलीह । राजा जहन गृहवासमे उपस्थित भेलाह तँ जिज्ञासा कयलनि - रानी कतए? तहन रानी के लगमे रहय वाली खबासीन से रानी के जाकऽ कहलक जे महाराज अहाँके तकैत छथि । रानी खबासीन द्वारा सम्वाद देलनि जे कहुन गऽ जे शयनागार मे छथि । तहन राजा आबि जिज्ञासा कयलनि “प्रिये ! एना किऐक सुतल छी" तहन ओ जवाब देलनि “सुखे सुतल छी" । राजा कहलनि “प्रिये उठू !" ताहि पर कर्पूरावती कहलखिन “अहाँ यदि हमरा संग सत्त करब तँ उठब नहि तँ नहि उठब" राजा कहलनि “अवश्य करब" । तहन रानी राजा सँ तीन बेर सत्त कराबौलनि ।
सत्त कयलापर कर्पूरावती ओछाओन सँ उठलीह आ कहलनि जे हमर जे बहिन शीलावती तकर सातो पुत्रक गरदनि कटा हमरा मँगा दिय । तखन राजा पृथ्वीके ठोकैत कान धरैत कहैत छथि “पापिन एहन बात अहाँ कियक बजलहुँ" एहि तरहें बेर-बेर कहलो पर हुनकर कोनो प्रत्युत्तर नहि सुनि हुनकर आज्ञा के स्वीकारि लेल । तहन राजा कहलनि काल्हि अहाँ के सातोटा सिर अनाकऽ द’ देब । कर्पूरावती हुनकर वचन के सत्य मानि जिमूतवाहनक पूजा कएल ।
तहन राजा अपन सत्यक रक्षा हेतु चण्डाल के बजाय आदेश देल “महामत्तक जे सातोटा पुत्र तकर गरदनि काटि कर्पूरावती के आनि दहुन ।" ओ प्रातः काल सातोटा मूरी आनि कए दए देलक । ओकरा देखि कर्पूरावती अति प्रसन्न भेलीह ।
कर्पूरावती ओ सातो मूड़ी के सात गो डाली मे पीयर कपड़ा मे बान्हि सातो पुतहुक पारणा लेल शीलावतीक ओतय पठा देलनि ।
शीलावती द्वारा निष्ठापूर्वक जिमूतवाहनक पूजाक ओ सातो डाली मुँहक जे मुण्ड से ताड़क फल भऽ गेल आ सातो बालक जीवित भऽ गेलाह । ओ सातो अपन घोड़ा पर चढ़ि अपन घर अएलाह । सातो भाय स्नान-ध्यान कऽ अपन -अपन पत्नी लग पहुँचलाह तँ सातो पुतहु अपन-अपन स्वामी के मौसी द्वारा पठाओल ताड़क फल देखय देलक आ कहलक जे अहाँक मौसी पारणा लेल पठौलनि अछि ।
ओम्हर कर्पूरावती शीलावतीक सातो पुत्रक वधक शोकाकुल कानब सुनक जे आनन्द तकर प्रतिक्षा मे बैसल छलीह । जहन कानब नहि सुनलनि तखन जिज्ञासा लेल पुनः दासी के पठाओल । दासी ओहिठाम सँ आबि सब समाचार सुनेलक । समाचार बुझि अति दुःखी भेलीह । तखन राजासँ जिज्ञासा कयलनि “हे महाराज ! काल्हि जे अहाँ शीलावतीक सातो बालकक सिर आनि कऽ देने रहि से ककरो दोसरक छलैक ?"
राजा उत्तर देल-“प्रिय ! अहाँक सोझामे ओ सातो मुण्ड राखल छल तहन एहन प्रश्न किएक करैत छी "
रानी ताहि पर कहलनि “हमहूँ ओकरा सब के देखलियै तँ आश्चर्य भेल । ओ सब कोना जीवित भेल ?"
ताहिपर राजा कहलनि “हे प्रिये ! अहाँक बहिन पूर्व जन्म मे सत-व्रतक पालन कयने छथि जकर प्रभावसँ हुनकर सातो पुत्र जीवित भय गेलनि आ अहाँ ओहन व्रतक पालन नहि कएने छलहुँ जाहिसँ अहाँक पुत्र सब मरि-मरि गेल आ अहाँ दुःखी होईत गेलहुँ ।
राजाक मुँहसँ ई बात सुनि कर्पूरावती गुम भऽ ठाढ़ि रहलीह । अगिला बर्ष जिमूतवाहन जाहि दिन छलैक ओहिदिन अपना दासी के पठेलखिन महामत्तक जे स्त्री शीलावती तिनका ओहिठाम । ओ जाकऽ हुनका कहलनि जे रानी कहलनि अछि जे इ जे आइ दुनू गोटे एके संग पूजा करब आ कथा सूनब ।
तकर उत्तर शीलावती देलनि जे कर्पूरावती महारानी छथि हुनका सँ ई पूजा करब आ कथा सूनब संभव नहि छनि ।
दासी ओहिठाम आबि रानी के कहलनि । ताहि पर कर्पूरावती कहलखीन हुनका सातटा बालक छनि तकर गुमान छनि । प्रातः काल संग-संग पारणा करक लेल दासीकेँ पठेलनि । दासी पुनः आबि कहलकनि “ओ कहलनि जे हम दुनू गोटे एक संग पारणा नहि कए सकैत छी ।
ई सुनि जेना रानी के देहमे आगि लागि गेलनि । ओ खरखरिया मंगा पारणा के जावन्तो समान लय शीलावतीक ओहिठाम पहुँचलीह । ओहिठाम पहुँचलापर ओ पानि लए पैर धोआ आसन पर बैसा तखन पुछलखिन “अहाँ एहिठाम कोना पहुँचलहुँ ?" तकर उत्तर कर्पूरावती देलनि हम अहाँ संग मिलि कऽ पारणा करब ।
तकर जवाब शीलावती देलनि “हम अहाँ संग एकठाम पारण नहि करब । अहाँ राजाक जे राजभोग से करू आ आबो दुष्टताक त्याग करू"
कर्पूरावती तैयो थेथर जकाँ कहलथिन-“आइ हम अहाँ संग मिलिये कऽ पारण करब ।"
शीलावती ई सुनि जे आब ई मानयवाली नहीं अछि, पारणाक ओरिआओन मे लागि गेलीह आ कहलनि जे आब अहाँ हमरा संग मिलि अवश्य पारण करू ।
तखन शीलावती कर्पूरावती के कहलनि जे पहिने अहाँ हमरा संग नर्मदा तट पर चलू । दुनू गोटे ओहिठामसँ जा नर्मदा मे स्नान कयलनि । स्नानोपरांत शीलावती कर्पूरावतीसँ प्रश्न कयलनि “कि अहाँ के पूर्वजन्मक बात किछु स्मरण अछि ।" कर्पूरावती नहि कहलनि तहन शीलावती कहय लगलखिन- “यैह नर्मदा नदी अछि । यैह बाहुलुटा मरुभूमि अछि । आ यैह विशाल पाकड़िक गाछ अछि । पूर्व जन्म मे हम चिल्होरि छलहुँ अहाँ गिदरनी । एहि पाकरिक धोधरीमे अहाँ निवास करैत छलहुँ आ डारिपर हम । एहिठामक नगर निवासिनी महिला लोकनि जिमूतवाहनक व्रत कएने छलीह । एतय आबि ओ लोकनि पूजा कयलनि आ कथा सुनलनि । हम अहाँ दुनू गोटे व्रत कएने रहि । हमहुँ दुनू गोटे हुनके सभ लग मे कथा सुनलहुँ । कथा सुनि अपन-अपन निवास स्थान मे चलि गेलहुँ । ओहि दिन एहि नगर के जे सेठ तकर एकमात्र पुत्रक देहावसान भय गेलैक । ओ बन्धु बान्धव संग आबि चिता रचि संस्कार दय चल जाईत गेल । मध्य रात्रिमे अहाँ हमरा जिज्ञासा कएलहुँ । प्रिय चिल्हो ! जागल छी कि सुतल ? अहाँ थोर-थोर कालपर कैक बेर जिज्ञासा कयल हम जवाब दैत गेलहुँ । परन्तु अहाँ हमर बात नहि सुनलहुँ । तखन अहाँ जिज्ञासा के देखि देखि हम चुप्पी लगा देलहुँ । तहन अहाँ हमरा सुतल बुझि अपन धोधरि सँ निकलि मुँह सँ नदी सँ पानि आनि चिताके आगि मिझा पहिने भरि पेट माँस खयलहुँ आ तखन किछु आनि प्रातः कालक पारणा लेल सेहो राखि लेल ।
प्रातः भेने जहन अहाँ हमरा पारणा लेल कहलहुँ तँ रातुक जे वृतांत हम अहाँ के देखने रहीं तँ उदास मन हम कहलहुँ - अहाँ करु हम कयलहुँ । तखन हम ग्रामीण महिला लोकनि द्वारा देल गेल अक्षत आ अंकुरी लए पारणा कयलहुँ आ अहाँ जे रातुक नर माँस रखने रही से लए पारणा कयलहुँ ।
ई सब बात हमरा बुझल अछि आबिकऽ देखि लिय । ई कहि कर्पूरावतीक हाथ धए शीलावती ओहि पाकरीक धोधरि मे लय जा नर माँस आ हड्डी आ शेष मांस देखेलनि ।
तखन कर्पूरावती के शीलावती कहलखिन “व्रत भंगक दोष सँ अहाँक पुत्र सब मरैत गेल आ अहाँ दुःखी होईत गेलहुँ । हम नियमपूर्वक व्रतक पालन कयलहुँ तकर फलस्वरूप हमर सब पुत्र जीवित अछि आ हम प्रसन्न छी । तें हमरा अहाँमे विरोधाभासो अछि ।
कर्पूरावती पूर्वजन्मक वृतांत शीलावती सँ सुनि ओहिठाम अपन शरीरक त्याग कए देल । शीलावती ओहिठाम सँ धूमि घर एलीह । राजा अपन पत्नीक श्राद्ध कर्म कए निश्चिंत भऽ राज चलावय लगलाह । ओएह जिमूतवाहनक पूजा आई तक मृत्यु भवनमे लोक अपन सन्तानक दिर्घायुक कामनासँ करैत आबि रहल छथि । एहि व्रत के नियमानुसार करय वाली सब तरहें भरल-पूरल रहैत छथि । ई कथा सुनि कर्पूरक दीप जरा आरती कऽ पूजित देवताक विसर्जन करा दियनि । ईति ।